वीरगंज । रौतहट जिल्लाके गौर नगरपालिका -८ पुरेन्वामे खधिआमे डुबके मृत्यु भेल एक शव बरामद भेल हए । परेमी राउतके बेटा अन्दाजी ३५ वर्षके शुसिल राउतके खाल्डोमे डुबके मृत्यु भेल अवस्थामे फेला परल हए । सावन २७ गते सनिचरके रति ९ बजेसे हि बेपत्ता रहल आ आई गौरके बरहबा नदीमे सोतिमे पुरेन्वाके स्कुल स्थिति रहल पुल निचे आई सबेरे सोमारके दिन लास फेला परल हए ।
उनकर परिवारजनसब दु दिनसे खोजी तलाश करईत रहे । आई अचानक मृत अवस्थामे शव फेला परलाबाद शोकाकुल बनल हए । राउत करीब १६ वरिषबाद नेपाल प्रहरीमे रहके हवल्दार बनल रहे । राउतके मानसिक स्थिति खराब भेलाबाद उनकरा बर्खास्त कएले रहे । बर्खास्त भेल समय विरगंज कार्यरत रहे । बर्खास्त बारे उनकर मुद्दा भि खेपरहल परिवारजन बतएले हए । राउतके ५ गाे बालबच्चासब रहल हए ।
उनकर सबसे बडा बेटा रहल जाैन घर बाहिर हि रहईअ । हुन बर्खास्त भेलाबाद पश्चात ज्याला मजदुर करके जिविकाेपार्जन कररहल परिवार जनके कहनाम हए । राउतके मृत शरीरके प्रहरीसे बुझके हिन्दू रितीरीवाज अनुसार दाहसंस्कार कएलगेल पारिवारिक स्राेत बतएले हए ।