जनकपुर | प्रदेश २ के अस्थायी राजधानी जनकपुरधामसँ किछ दुरीमे रहल धनुषाक टिल्हीस्थित एक युवकके विभत्स हत्या भेल अछि ।धनुषाक हँसपुर नगरपालिका वडा नम्बर ६ टिल्ही टोलस्थित बितल राति करिब १ बजेके समयमे स्थानीय ३५ बर्षक शम्भु मण्डलके विभत्स हत्या भेल अछि । मण्डलके अप्ने पत्नी आ सहोदर भाई मिल कऽ हत्या केने स्थानीयसभक कहब अछि । मण्डलके पत्नी सुशिलादेवी मण्डल, भाइ जय मण्डल आ अनिल मण्डल मिल कऽ हत्या केने स्थानीयसभक कहब अछि ।
आसंकाके घेरामे रहल तीनु गोटे फरार भेल प्रहरी जनाओने अछि । इलाका प्रहरी कार्यालय औरही आ जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषाक सँयुक्त टोली घटनास्थल पहुँच कऽ मुचुल्का उठएने अछि । मण्डलके पत्नी आ भाईबीच अवैद्य सम्बन्धके कारण मण्डलके हत्या भेल बुझलगेल अछि ।
वैदेशिक रोजगारीमे रहैत आएल शम्भु एक महिना पहिने मात्रे कतारसँ गाउँ घुरल छल । शम्भुके कनपट्टी आ गर्दनमे खुकुरी प्रहार काएलगेल अछि । फरार रहल मण्डलके पत्नी आ दुनु भाईके खोजी तीव्र रुपसँ भऽरहल जिल्ल प्रहरी कार्यालय धनुषा जनाओने अछि । मृतक मण्डलके शव पोष्टमार्टमक लेल जनकपुरके प्रादेशिक अस्पतालमे लऽजएबाक तयारी भऽरहल प्रहरी जनाओने अछि ।